एहि ब्लागक कोनो सामग्री केर अव्यावसायिक आ दुर्भावना सँ रहित उपयोग करबा मे कोनो हर्ज नहि अछि । शर्त एतबै जे स्रोतक आ रचनाकारक स्पष्ट उल्लेख करी । तरूण निकेतनक पता पर अथवा ई-मेल पता-tarunniketan@gmail.comपर एकर सूचना अवश्य पठा दी । कोनो सामग्रीक उपयोग जाहि रूप मे भेल होई से पठा सकी तँ नीक लागत ।

Wednesday, October 1, 2014

हृदय निःशेष अछि मैया (भगवती वंदना-7)

कहब की आर हम बेसी, हृदय निःशेष अछि मैया
हमर नहि अछि अपन तन मन, बचल किछु शेष हे मैया ।

सदति दुख काटि हम जननी अपन जिनगी बितौने छी
लगै अछि एना व्यर्थे हम अपन उर्जा गमौने छी
कृपा अपनेक पेबा लेल लगल छी रेस मे मैया
कहब की आर हम बेसी, हृदय निःशेष अछि मैया ।

मनक जे बात ककरो अछि कहू की नहि अहाँ जानी
तखन फुसियै कतहु जा क कियै बाजी कियै कानी
शरण बस छोड़ि अपने केर, नहि चाहि शेष किछु हमरा
कहब की आर हम बेसी, हृदय निःशेष अछि मैया ।

हृदय अछि माँ तरूणसुत केर कतेको व्यथा सँ भारी
विवश बनि आइ बैसल छी कहू ई सब कोना टारी
बिसरितहुँ नहि बिसरि पाबी जे लागल ठेस अछि मैया
कहब की आर हम बेसी, हृदय निःशेष अछि मैया ।



मलाढ़ : 27.09.2014

No comments:

Post a Comment