एहि ब्लागक कोनो सामग्री केर अव्यावसायिक आ दुर्भावना सँ रहित उपयोग करबा मे कोनो हर्ज नहि अछि । शर्त एतबै जे स्रोतक आ रचनाकारक स्पष्ट उल्लेख करी । तरूण निकेतनक पता पर अथवा ई-मेल पता-tarunniketan@gmail.comपर एकर सूचना अवश्य पठा दी । कोनो सामग्रीक उपयोग जाहि रूप मे भेल होई से पठा सकी तँ नीक लागत ।

Thursday, April 2, 2015

लघुकथा : सहयोगक प्रस्ताव

रेखांकन : कुमार सौरभ
(लघुकथा)
सहयोगक प्रस्ताव

दू बेरोजगार मित्र परस्पर आर्थिक सहयोगक योजना बनौलनि । पहिल मित्र एकरा कार्यान्वित करबाक उद्देश्य सँ दोसर मित्र सँ कहलनि - जे की हर्ज जे एकर शुभारम्भ एखनहि क देल जाए । 
दोसर मित्र कहलनि- शुभश्य शीघ्रम.. हमरा बड्ड बेगरता अछि हौ, तोँ तत्काल एक सै टाका दए एहि योजनाक शुभारम्भ करह । 
ई सुनि पहिल मित्र बाजल - ..यैह प्रस्ताव त हमहु तोरा लग राखय बला छलियह..!!

[मलाढ़ : 15.01.1995]